Saturday, October 10, 2009

गोनू झाक झोरी


गोनू झा रहथि दरबारी | अपन बुद्धि - विलाससं राजाकेँ प्रसन्न कयने रहैत छलाह आ पुरस्कारस्वरूप बेस धन - अर्जन कs लैत छलाह | आ तेँ हुनका ओतs चोरक खूब उपद्रव रहैत छल |

एक बेर गोनू झा दुनू प्राणी घरमे सुतल छलाह | तखने चोरबा सभ सेन्ह काटि घरमे प्रवेश कयलक | देखलक जे एखन दुनू प्राणी आपसमे गप्प सप्प कs रहल छथि | हुनका दुनूकेँ सुतबाक प्रतीक्षामे ओ सभ कोठीक पाछू नुकाकs बैसि रहल आ दुनू प्राणीक गप्प सप्प सुनs लागल |

गोनूक घरवाली गोनूसं कहलथिन जे आइ - काल्हि चोरक उपद्रव बड़ बढ़ी गेल अछि अहाँकेँ कहियासं कहैत छी जे कमसं कम गहना - गुड़ियाकेँ तं निजगुत ठाम राखि लितहूँ |

गोनू झाकेँ घरमे चोरक आभास लागि गेल छलनि | ओ आस्वस्त होइत पत्नीसं कहलनि - अहाँ ऐ लय निश्चित रहू | हम तकर इन्तजाम कs लेने छी |

- तs एखन धरि हमरा कहलहूँ नहि?

- ' अरे, से कहबाक पलखति कतs भेटैत रहय ततेक ने झंझटि सभमे बाझल रहैत छी जे............'

- तs कोन इन्तजाम कयलिऐ?

- पहिने ई कहू जे अहाँ लग आर की सभ अछि?

- हमरा लग आब आर की रहत छाउर!! जे किछु छल, सभ तs अहीं के दs देलहूँ |

- तs सुनू | हम सभटा गहना - गुड़िया के झोरी सभमे धs कs पछुआड़ महक लताम - गाछ पर लटका देलहूँ अछि |

- तखन तs चोरबा सभ.........

-आयत तs खसत मूँहे भरे | तेहन ठाम ने धs देलिये जे चोर की चोरक बापोक नजरि ओतs नहि जयतै |

दुनू प्राणी गप्प चोरबा सभ बड़ मनोयोगपूर्वक सुनैत छल | मोने - मोन ख़ुशी सेहो भs रहल छल | जखन दुनू प्राणी निसम्बद्ध भs गेलाह ओ सभ एक - दोसरसं संकेतमे गप्प कयलक आ सहें - सहें घरसं बहरा गेल |

बाहर जखन आयल तs गोनू झाक बात सत्य प्रतीत भेलै | लतामक गाछ पर ठाम - ठाम झोरी लटकल देखलक | कि आब देखलक ने ताव, सभ छरपि गेल गाछ पर आ बाप - बाप करैत, गोनूक खानदानकेँ उखिलैत सभ बाहर निकलबाक प्रयास करैत रहल | मुदा लाख प्रययासक बादो गोबरक कुण्डसं नहि बहरा सकल | छलै के तेहन विशाल ढ़ेरी जे......

भिनसरे गोनू लोटा लs कs नदी दिस जयबाक हेतु बहरयलाह तs देखलनि जे चोरबा सभ अधमरु भेल गोबरमे कुहरि रहल अछि आ लतामक गाछ परक सभटा मधुमाछी, बिढ़नी - आ पचहिया ओकर सभक शरीरक विभिन्न अंग पर लुबधल छैक |

गोनू झा चुटकी लैत पुछलथिन - की यौ चोर बाबू सभ | गाछ पर टांगल हमर झोरी सभ कतs निपत्ता कs देलहूँ?

आ उत्तरक बिनु प्रतीक्षा कयने नदी दिस विदा भs गेलाह |

No comments:

Post a Comment

Blog Created By "Maithil" In Search Of Jindgi.